Thursday, November 29, 2018

मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान || Mithilakshar Sakshartaa Abhiyaan

घरक बहुरिया

जहिया सँ टेलिभिजन  मे  जुडि़गेल  डिस्क
रिमोट के बल पर देखू संस्कृति मे रिमिक्स

किचेन मे सिट्टी बाजे कूकर  मे  पाके  खाना
घरक बहुरिया टी.भी. मे देखे  अंग्रेजी  गाना
कनिके कालमे तैयार  भेल  पसिन्नक  डिस

कॉलेज नहि जाएत दैया बैसल फुला कऽ गाल
कि भेल बौआ  डेडी  कहे  केश के  रंगैत  लाल
माय घर बहारैत बजलीह किन दियौ  टू–पिस

टी.भी. देखि कऽ  बाबा  बाजल केहन भेल जवाना
सेटेलाइट मे  दौड़े  दुनिया बनि  कऽ पागल खाना
उमेर चालिस मे बाट पर मैडम बनल आब  मिस

Mithilakshar sakshartaa abhiyaan / Maithili font / Maithili lipi / मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान