घरक बहुरिया
जहिया सँ टेलिभिजन मे जुडि़गेल डिस्क
रिमोट के बल पर देखू संस्कृति मे रिमिक्स
किचेन मे सिट्टी बाजे कूकर मे पाके खाना
घरक बहुरिया टी.भी. मे देखे अंग्रेजी गाना
कनिके कालमे तैयार भेल पसिन्नक डिस
कॉलेज नहि जाएत दैया बैसल फुला कऽ गाल
कि भेल बौआ डेडी कहे केश के रंगैत लाल
माय घर बहारैत बजलीह किन दियौ टू–पिस
टी.भी. देखि कऽ बाबा बाजल केहन भेल जवाना
सेटेलाइट मे दौड़े दुनिया बनि कऽ पागल खाना
उमेर चालिस मे बाट पर मैडम बनल आब मिस
Mithilakshar sakshartaa abhiyaan / Maithili font / Maithili lipi / मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान
No comments:
Post a Comment