मोन भेल तीत
चूर भेल जीवन के ऐना मोन भेल तीत
कोना भुलल सिनेहिया बचपन के प्रीत
कहैत छल जियब मरब रहब एक साथ मे
परब नहि ऊँच नीच फरेवी सभक बात मे
देलक वैह बेदर्दा हमरा दुःखक गीत
देल लाल फूल गुलाब ओकर प्रेमक निशानी
बनेलक सुन्दर जीवन के दुःखक कहानी
लगा कऽ प्रेम मे सियाही भेल नहि हमर हित
होइ छै मानुष जीवन मे बहुतो एहन सपना
जकरा पाबऽ खातिर लोक बृुझे आनो के अपना
हमर अपन आन भेल फाटल आब चित्त
Mithilakshar / Tirhuta / Mithilakshar font / Tirhuta font / मिथिलाक्षर / तिरहुता
bahut nik , jai maithil
ReplyDelete