Thursday, June 21, 2018

Binit Thakur, Mithilakshar, Tirhuta Script, Maithili letters, Maithili Varnamala, Maithili Literature, Maithili Kavita, Maithili Geet, Maithili Sahitya, Maithili Poet, Maithili Poems, Maithili songs, Oldest Maithili Script, Mithila, Own script of maithili language.

बदलल ओकर विचार

लिखिकऽ हमर ओ नाम  दिल सँ मिटा देलक
सभटा छल ओकरे खेल खाक मे मिला देलक

बचपन के हमर ओ प्रीत भगेल   छल   सियान
लाल फूल गुलाब मे हँसैत छलीह वनि ओ चान
बसन्त  मे  दिल  के  दूरी  पतझर  बना  देलक

दिल मे दिल के बसेरा सुन्दर ओ परी मे रानी
कहैत छल हमर प्रीत  गंगा के निर्मल  पानि
कोना ईन्द्र धनुष बनि ओ लाली चोरा लेलक

ओकरे  सजाकऽ नयन मे  करैत  छलहुँ  दुलार
ई  केहन  मजबुरी जे  बदलल  ओकर  विचार
चुपचाप महल मे बैसल जीवन नैया डुबा देलक



Binit Thakur, Mithilakshar, Tirhuta Script, Maithili letters, Maithili Varnamala, Maithili Literature, Maithili Kavita, Maithili Geet, Maithili Sahitya, Maithili Poet, Maithili Poems, Maithili songs, Oldest Maithili Script, Mithila, Own script of maithili language, Mithila Bihari Nagarpalika, Dhanusha



No comments:

Post a Comment