Monday, May 21, 2018

Maithili Kavita ... मैथिली कविता... Maithili Geet...मैथिली गीत

बनि जायब सुन्दरी

सैंया मानु  हमर   कहब   मधुर   बतिया
लेने आएब अरब सँ झुमका संग नथिया

लाएब साया आ सारी संग सोनक कंगना
पहिर पायल  चलबै त   झमकत  अंगना
अहाँ  लाएव  चुनरी जे हो  झिलमिलिया

सोलह   साओन  मे   मौसम  रंग   बदले
बिनु     भँबरा    गुलाब   असगर   मचले
कुहुकै बन मे कोइलिया त धरके छतिया

कटलहुँ  अहाँ  संग जिनगी पहिर  गुदरी
अविते  अहाँ के हम बनि जायब सुन्दरी
आश मे बाट  हम  ताकी   सगर  रतिया


Maithili Literature / Mithilakshar / Tirhuta Script / Maithili Alphabet

No comments:

Post a Comment