Monday, May 28, 2018

Maithili Alphabet...मैथिली कविता...Maithili Kavita...Geet...गीत...Mithilakshar...Tirhuta

चुनरी

देखि कऽ लाल चुनरी छौरा मार नहि अँखिया
छम–छम  छमके  पायल   त   डोले   नथिया

लाल रंग लहंगा   हमर   नीक   भागलपुरी
पयरक चप्पल नामी गुज–गुज कोल्हापुरी
चली  धीरे  सँ  बाट  पर  त  डोले  नथिया

चमके लाल हार  नयन मे सिरहा के  कजरा
लामि–लामि केश मे लागल रुपनी के गजरा
खन–खन   खनके  कंगना  त डोले  नथिया

रंग रुप  यौवन  सोलह वरिस के  जुवानी
फूल मे  गुलाबक   अछि    हमर   कहानी
चम–चम चमके टिकुली त डोले  नथिया


Maithili Alphabet / Maithili literature / Mithilakshar / Tirhuta / Maithili Varnamala
















No comments:

Post a Comment