निहुछल जमाइन
सम्पतिया के कनियाँ भेल गामक गिरथाइन
घोघे तर सँ हमरा बनेलक ओ डाइन
एक त ओहिना यौ बाबु छी दुःखक झमारल
सधवा परलोक चलिगेल समय सँ छी हम मारल
केहन गुमाने सँ मातल छै मौगा सम्पतिया
जँचबै नहि डाक्टरी मे दुःखिया लडि़कवा
सदिखन ढुँइस लड़े हमरा सँ करैया काइन
फेक जाइया अंगना मे निहुछल जमाइन
कहे धामी बजाकऽ बीच पञ्चैती मे तोरा
सभक सामने पीठपर बरसेवौ कोड़ा
पञ्च मुखिया के मुह मे बसै छै भगवान
करत सही निर्णय या लेत अवला के जान
Maithili / Maithili Script / Tirhuta Script / Maithili Alphabets / Top Ten oldest script
No comments:
Post a Comment